


Samastipur :- खानपुर प्रखंड मुख्यालयक सभागारमे गुरुवारक दिन नीति आयोगक समीक्षात्मक बैठक आयोजित कैल गेल। बैठकक अध्यक्षता नीति आयोग, नई दिल्लीक सहायक निदेशक दिव्यांशु कुमार केलनि।बैठकमे उपस्थित सभे विभागक पदाधिकारी सभक संबोधित करैत सहायक निदेशक दिव्यांशु कुमार कहलनि जे आकांक्षी प्रखंड होएबाक नाते एतय सभे विभाग द्वारा तय कएल गेल पैरामीटर पर प्राथमिकताक आधार पर काज कएल जाए जरूरी अछि।

ओ शिक्षा, स्वास्थ्य, बाल विकास परियोजना, कृषि, जीविका, प्रधानमंत्री आवास योजना सहित अन्य विभागक बारी-बारी समीक्षा केलनि।समीक्षाक दौरान उपलब्ध डेटा देखि ओ संतोष व्यक्त केलनि आ निर्धारित पैरामीटर पर समयबद्ध तरीका सँ उच्चतम उपलब्धि हासिल करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे एहि प्रखंडके देशक मानचित्र पर चिन्हित करबाक लक्ष्य अछि। जाहि विभागमे किछु कारण सँ उपलब्धि स्तर पिछड़ल अछि, ओ विभागके एक मासक भीतर लक्ष्य पूरा करबाक निर्देश देल गेल।

बैठकके जिला योजना पदाधिकारी निशांत कुमार, सहायक जिला योजना पदाधिकारी प्रशांत कुमार आ पिरामल फाउंडेशनक जिला प्रबंधक आदित्य कुमार सेहो संबोधित केलनि।मौके पर प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी संजीव कुमार, प्रखंड चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. राणा नितेश कुमार सिंह, कृषि पदाधिकारी मो. शौकत अली, प्रधान सहायक धर्मवीर प्रसाद, शिक्षक लाल बाबू, नजीर चंदन कुमार सहित दर्जनों पदाधिकारी आ कर्मचारी उपस्थित छलाह।







![]()












Leave a Reply